मिथिला प्राचीन भारत मे एकटा साम्राज्य छल । ई पूर्वी गंगा मैदान मे अवस्थित अछि, जे आब आधा सँ अधिक बिहार और ओकरा सँ जुड़ल नेपालक भाग अछि एहि क्षेत्रक मुख्य स्थान दरभंगा, मधुबनी, झंझारपुर, समस्तीपुर, मधेपुरा, बेगूसराय, सहरसा, सीतामढ़ी, मुज्जफरपुर, जनकपुर आदि अछि ।जनकपुर आब नेपालक क्षेत्र मे अछि ।
मिथिला: परिचय
मिथिला क्षेत्र गंगाक उत्तरी मैदान मे अछि । मुख्य स्थान दरभंगा, मधुबनी, झंझारपुर, समस्तीपुर, मधेपुरा, बेगूसराय, सहरसा, सीतमढ़ी, मुज्जफरपुर, जनकपुर आदि अछि । जनकपुर नेपालक क्षेत्र मे अछि।
खेती एहि क्षेत्रक मुख्य आर्थिक कार्यकलाप थिक । मुख्य फ़सल धान, गहूम , दालि, मकई, मुँग, उडद, राहड़ि आदि आ जूट अछि । आई- काल्हि देशक दोसर भागक तुलना मे खेती नीक नहि रहबाक कारणें, ई सब सँ अधिक पिछड़ल क्षेत्र भऽ गेल अछि । बाढि हर वर्ष फ़सलक पैघ भाग कें नाश कऽ दैत अछि । उद्योगक अनुपस्थिति, कमजोर शैक्षिक अवसंरचना आ राजनीतिक अपराधीकरणक कारणें अधिकांश युवक कें शिक्षा आ आमदनीक लेल स्थान परिवर्तन करय पड़ैत छनि । एहि परिवर्तनक उज्जवल पक्ष इ आछे जे ओ लोकनि भारतक प्रमुख क्षेत्र और स्थान मे महत्वपूर्ण भऽ गेलाह अछि ।
ई भूभाग संस्कृति आ परंपरा मे धनी अछि । एतयक लोक अपन माता- पिताक आदर करैत छथि आ शांतिपूर्वक जीवन मे विश्वास रखैत छथि । ईश्वर पर अत्यधिक विश्वास करैत ओ सामान्यतया पैघ परिवार मे रहैत छथि । मुख्य सांस्कृतिक समारोह वियाह आ त्योहारक दौरान होइत अछि । फ़गुआ, दियावाती,काली पूजा,दुर्गा पूजा, छठि, शिवराति, मधुश्रावणी (मुख्यत: नवविवाहित जोड़ा सँ संबंधित ) धुमधाम सँ मनाओल जाइत अछि ।
बाबूजी:श्री कालि कांत झा
(ग्राम/पोस्ट-चैनपुर,
पछबारी टोला,जिला-सहरसा(बिहार).
दूरभाष ०६४७८-२३२५७०)
Working With Birla Group, As a Assistant Manager,
email:jha.amits@gmail.com
mob: +91-9718397958